एलिजाबेथ प्रथम
दिखावट
एलिजाबेथ प्रथम Elizabeth I | |
---|---|
इङ्ल्यान्ड आ आयरल्यान्डक रानी | |
शासनकाल | १७ नवम्बर १५५८ – २४ मार्च १६०३ |
राज्याभिषेक | १५ जनवरी १५५९ |
पूर्वाधिकारी | मैरी I आ फिलिप |
उत्तराधिकारी | जेम्स I |
जन्म | ७ सितम्बर १५३३ प्लैसेन्टियाक महल, ग्रीनविच, इङ्ल्यान्ड |
मृत्यु | २४ मार्च १६०३ रिचमन्ड महल, सर्रे, इङ्ल्यान्ड | (६९ वर्ष)
Burial | २८ अप्रिल १६०३ |
घराना | ट्यूडर राजवंश |
पिता | हेनरी VIII |
माता | ऐन बोलीन |
धर्म | एङ्ग्लिकन |
हस्ताक्षर |
एलिजाबेथ प्रथम (Elizabeth I, जन्म: ७ सितम्बर १५३३, मृत्यु: २४ मार्च १६०३) इङ्ल्यान्ड आ आयरल्यान्डक महारानी छल, जकर शासनकाल १७ नवम्बर १५५८ सँ ओकर मृत्यु धरि चलल छल । ओ ब्रिटेनक ट्युडर राजवंशक पाँचम आ अन्तिम सम्राट छल । ओ कहियो विवाह नै केनए छल आ एलिजबेथकें कोनो सन्तान नै छल आ एलिजाबेथ "कमारी रानी" (virgin queen, भर्जिन क्वीन)क नाम सँ सेहो जानल जाएत छल । ओ ब्रिटेनक सम्राट हेनरी अष्टमक बेटी होमए कऽ कारण जन्म कालमे एक राजकुमारी छल, मुदा एकर जन्मके अढ़ाई साल बाद एलिजाबेथक माता, ऐन बोलिनक मारि देनए छल आ एलिजाबेथक नाजायज घोषित करि देल गेल छल । सन् १५५३ धरि एकर सौतेला भाई एडवर्ड ६क शासनकालक बाद एकर बहिन मेरी १ शासन सम्म्भालक । मेरीक सन्तानरहित होमए कऽ बाद एलिजाबेथ १७ नवम्म्बर १५५८ कऽ अङ्ग्रेजी सिंहासनक बागडोर सम्भालने छल ।